$type=ticker$count=12$cols=4$cate=0

GST (जीएसटी)मे कखनि पञ्जीकरण करेवाक चाही?

GST रजिस्ट्रेशन करेनाई कखनि अनिवार्य भ' जायत छै?

 

भारत मे थोड़ेक पैघ व्यवसाय करबाक लेल जीएसटी मे रजिस्ट्रेशन करब जरूरी होयत अछि। एहि पोस्टमे हम बतायब जे जीएसटी रजिस्ट्रेशनके लेल कतेक टर्नओवर चाही? सामान्य राज्यक व्यवसायीके लेल कारोबारक सीमा की छै तथा विशेष श्रेणीके राज्यकक लेल कारोबार सीमा की छै?

जीएसटी पंजीकरण कें लेल आवश्यक व्यवसाय सीमा 

जीएसटी पंजीकरणके लेल आवश्यक वार्षिक कारोबार सीमा दू कारक पर निर्भर करैत अछि- 

पहिल: - अहाँ कोन तरहक व्यवसाय करैत छी? समानक व्यापार पर सीमा बेसी अछि, जखनि की सेवाके कारोबार पर सीमा कम अछि। जँ अहाँ समान तथा सेवा दुनु के कारोबार करैत छी तँ सेवा के हिसाब सँ सीमा तय भ जाएत अछि. 

दोसर: - व्यवसाय कोन श्रेणी राज्य मे अछि? सामान्य श्रेणी राज्यकक लेल सीमा बेसी होयत छै, जखनि कि विशेष श्रेणी राज्यकक लेल सीमा अलग होयत छै।

जीएसटी पंजीकरण कें लेल आवश्यक व्यवसाय कें नव सीमा निम्नलिखित छै - 

  • [col]
    • सामान्य श्रेणीक राज्यमे सेवाक (Service) व्यवसायमे लिमिट छै
    •  20 लाख टका
    • सामान्य श्रेणीक राज्यमे समानक (Goods) व्यवसायमे लिमिट छै
    • 40 लाख टका

  • [col]
    • विशेष श्रेणीक राज्यमे सेवाक (Service) व्यवसायमे लिमिट छै
    • 10 लाख टका
    • विशेष श्रेणीक राज्यमे समानक (Goods) व्यवसायमे लिमिट छै
    • 20 लाख टका

1 अप्रैल 2019 सँ पहिले पंजीकरणक लेल आवश्यक व्यवसायिक टर्नओवरके सीमा छल-

  • [col]
    • सामान्य श्रेणीक राज्यमे माल तथा सेवाके कारोबार पर
    • 20 लाख टका

  • [col]
    • विशेष श्रेणीक राज्यमे माल तथा सेवाके कारोबार पर
    • 10 लाख टका

जीएसटीमे विशेष श्रेणी वाला राज्यक नाम अछि-

  • अरुणाचल प्रदेश
  • असम
  • जम्मू-कश्मीर
  • मणिपुर
  • मेघालय
  • मिजोरम
  • नागालैंड
  • सिक्किम
  • त्रिपुरा
  • हिमाचल प्रदेश
  • उत्तराखंड
  • विशेष राज्यके छोड़ि कय आन सभ राज्य कए सामान्य श्रेणी मे राखल गेल अछि।

राज्यकके नव अथवा पुरान टर्नओवरके  सीमा अपनावयके स्वतंत्रता छै

जीएसटीक नव व्यवस्थामे सामान्य श्रेणी आ विशेष श्रेणी दूनू राज्य कए इ छूट देल गेल अछि कि उपर वला कोनो सीमा अपन राज्यमे लागू कय सकैत अछि।

  • किछु विशेष श्रेणीक राज्य अपना ठाम समानक कारोबार पर उच्च कारोबार (40 लाख) सीमा लगा देलक अछि। एहि राज्यक नाम अछि- जम्मू-कश्मीर, लद्दाख तथा असम।
  • तहिना बहुतो विशेष श्रेणीक राज्यसभ उच्च कारोबार (२० लाख) वाला सेवाक व्यवसाय पर नव सीमा लगा देलक अछि । एहि राज्यक नाम अछि- पुडुचेरी, मेघालय, मिजोरम, त्रिपुरा, मणिपुर, सिक्किम, नागालैंड, अरुणाचल प्रदेश, उत्तराखंड
  • सामान्य श्रेणी के राज्य तेलंगाना वस्तु आ सेवा के कारोबार पर पंजीकरण के लेल पुरान सीमा (20 लाख रुपया) के रखबाक निर्केणय कयने अछि।

टिप्पणी

Name

ESCI & EPF,2,GST,6,INCOME TAX,3,INCOME TAX SLAB,1,TDS,7,TDS RATE CHART,1,TDS Section,4,
ltr
item
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली): GST (जीएसटी)मे कखनि पञ्जीकरण करेवाक चाही?
GST (जीएसटी)मे कखनि पञ्जीकरण करेवाक चाही?
GST रजिस्ट्रेशन करेनाई कखनि अनिवार्य भ' जायत छै?
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEi4PpF7mokrSYhc4wMza_fWBvR2ShlG62wcJauY9sykWzukrykSQ9K07FB_2OkP2xlK8LXQV2_CjmU2jgHL0weAUU29-uRiPayhb1_bwJ390atpX1nfYyX66X7xNx0EhSxwOj9XCY0Hf_jitNlrN9pzoQRZlPpmcYVtuFmJYbDAO0qBG8zRslVJQewhBQ/w548-h271/gst-registration.jpg
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEi4PpF7mokrSYhc4wMza_fWBvR2ShlG62wcJauY9sykWzukrykSQ9K07FB_2OkP2xlK8LXQV2_CjmU2jgHL0weAUU29-uRiPayhb1_bwJ390atpX1nfYyX66X7xNx0EhSxwOj9XCY0Hf_jitNlrN9pzoQRZlPpmcYVtuFmJYbDAO0qBG8zRslVJQewhBQ/s72-w548-c-h271/gst-registration.jpg
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली)
https://tax.maithili.org.in/2022/06/turnover-limit-for-gst-registration.html
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/2022/06/turnover-limit-for-gst-registration.html
true
2483513382241456218
UTF-8
सभ पोस्ट लोड भ' गेल कोनो पोस्ट नहि भेटल सभटा देखू पढ़ू जवाब दिय जवाब हटाउ मेटाउ लिखने छथि पहिल पृष्ठ पेज सभ पोस्ट सभ सभटा देखू अपनेक लेल अनुशंसित अछि लेबल संग्रह ताकू सभटा पोस्ट अहाँक आग्रहक संग कोनो पोस्ट मेल नहि खाइत अछि पाछू पहिल पृष्ठ पर जाउ रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर एखनहि 1 मिनट पहिने $$1$$ मिनट पहिले 1 घंटा पहिले $$1$$ घंटा पहिले काल्हि $$1$$ दिन पहिले $$1$$ सप्ताह पहिले 5 सप्ताह सँ बेसी पहिले अनुयायी अनुसरण करू ई प्रीमियम सामग्री लॉक अछि STEP 1: कोनो सोशल नेटवर्क पर शेयर करू STEP 2: अपन सोशल नेटवर्क पर देल गेल लिंक पर क्लिक करू सभ कोड कॉपी करू सभ कोड चुनू सभ कोड अहाँक क्लिपबोर्ड पर कॉपी भ' गेल छल कोड / पाठ कॉपी नहि क सकैत अछि, कृपया कॉपी करबाक लेल [CTRL]+[C] (अथवा मैक क संग CMD+C) दबाउ सामग्री सारणी