$type=ticker$count=12$cols=4$cate=0

Section 194C TDS on Payment to Contractor

आबू मैथिलीमे TDS के 194c सेक्शन बुझैत छी, जेना के टीडीएस काटि सकैत अछि की लिमिट छै कतेक दर छै आदि

1) आयकर अधिनियम, 1961 के धारा 194C के अन्तर्गत कर कटौती करबाक जिम्मेदारी किनकर रहैत छन्हि?

कोनो निर्दिष्ट व्यक्ति कोनो अनुबंध कय कोनों काजक संचालनके लेल कोनो निवासी-ठेकेदारके कोनो राशिक भुगतान करैत छै तँ टीडीएस काटयके जिम्मेदारी ओहि निर्दिष्ट व्यक्तिके होयत छै। (कोनो काज कें संचालन कें लेल श्रम कें आपूर्ति सहित)
निचा लिखल अछि जे किनका सभके टीडीएस कटबाक चाही।
  • केंद्र सरकार अथवा कोनो राज्य सरकार अथवा
  • कोनो स्थानीय प्राधिकरण अथवा
  • कोनों केंद्रीय, राज्य अथवा प्रांतीय अधिनियमक द्वारा अथवा ओकर तहत स्थापित कोनों निगम; अथवा
  • कोनो कम्पनी अथवा
  • कोनो सहकारी संस्था अथवा
  • कोनों प्राधिकारी, जे भारतमे कोनो कानूनक द्वारा अथवा ओकर तहत गठित छै, जे या त आवासके आवश्यकता सं निपटय आ ओकरा पूरा करयके उद्देश्य सं या शहरक, कस्बा आ गामक क योजना, विकास अथवा सुधार कें उद्देश्य सं, या दूनू कें लेल संलग्न छै; अथवा
  • सोसाइटी पंजीकरण अधिनियम, 1860 के तहत अथवा भारतके कोनों भागमे लागू ओय अधिनियमके अनुरूप कोनो कानूनके तहत पंजीकृत कोनो समाज; अथवा
  • कोनो ट्रस्ट अथवा
  • कोनों केंद्रीय, राज्य अथवा प्रांतीय अधिनियमक द्वारा अथवा ओकर तहत स्थापित अथवा निगमित कोनो विश्वविद्यालय आओर विश्वविद्यालय अनुदान आयोग अधिनियम, 1956 के अनुसार विश्वविद्यालय घोषित संस्था; अथवा
  • कोनो विदेशी राज्यक कोनो सरकार अथवा कोनो विदेशी उद्यम अथवा भारत सं बाहर स्थापित कोनो संघ अथवा निकाय; अथवा
  • कोनो फर्म अथवा
  • इंडिविजुअल  (Individual) अथवा हिन्दू संयुक्त परिवार अथवा व्यक्तियक के संघ अथवा व्यक्तियक के निकाय के व्यापार सँ खरीद-बिक्री सँ टर्न-ओवर 1 करोड़ सँ बेसी अछि अथवा प्रोफेसनल काज सँ 50 लाख सं बेसी टर्नओवर होयत छै तं टीडीएस कांट्रेक्टरके काटयके चाही।

कखनि कर कटौती नहि कएल जा सकैत अछि?

पहिल मामिला : जखनि निम्नलिखित शर्तके पूरा कयल जायत छै तखनि करके कटौती नहि कयल जा सकैछ:
  1. कोनो अनुबंधक अनुसार जमा कयल गेल अथवा भुगतान कयल गेल कोनो राशि, जे ₹ 30,000 सँ बेसि नहि होयत छै; आ कर बिंदु  ₹ 30,000 के सीमा व्यक्तिगत अनुबंध पर अछि।
  2. ओतय वित्तीय वर्षमे जमा अथवा भुगतान कयल गेल अथवा जमा अथवा भुगतान करबाक संभावना ₹ 1,00,000 सं बेसि नहि होयत छै।
दोसर मामिला : जखनि निम्नलिखित शर्तके पूरा कयल जायत छै तखनि करके कटौती नहि कयल जा सकैछ:
  1. माल ढुलाई, किराया पर लेनाय अथवा पट्टा पर देबाक समय कोनो निवासी ठेकेदारक राशिक देल जायत छै अथवा देबाक छै। (एतय-बाद मे परिवहन संचालक कें रूप मे संदर्भित कयल जायत)
  2. ऐहन संचालक भुगतानकर्ताके अपन स्थायी खाता नंबर (PAN) उपलब्ध करबैत छै।
  3. जाहि ठाम एहन ठेकेदारक लग पछिला वर्षमे कखनो 10 अथवा ओहि सँ कम माल ढुलाईक (गाड़ी) मालिक छै अथवा एहन राशिक भुगतान करय वला अथवा क्रेडिट करय वाला व्यक्तिक अपन पैनके संग अहि बातके घोषणापत्र उपलब्ध करबैत छै।
  4. टैक्सपॉइंट : भुगतानक राशि 1,00,000/- रुपया सँ बेसी भ' गेलाक बादो अहि कर कटौती करबाक आवश्यकता नहि छै।

कोन तरहक काजक अनुबंध (Contract) धारा 194C के अन्तर्गत अबैत अछि?

अहि अनुबंधमे उप-अनुबंध सेहो अबैत अछि।
  • विज्ञापन;
  • ब्रोडकास्टिंग अथवा टेलीकास्टिंग अथवा अहि लेल प्रोडक्शन सेहो शामिल अछि;
  • रेलवेके छोड़ि कोनो आन परिवहन साधन सँ माल अथवा यात्रीक  परिवहन;
  • खानपान (catering)
  • ऐहन ग्राहक अथवा ओकर सहयोगी सँ खरीदल गेल सामग्रीके उपयोग करैत कोनो ग्राहकके आवश्यकता अथवा विनिर्देशके अनुसार कोनो उत्पादक निर्माण अथवा आपूर्ति केनाइ, एहन ग्राहकके सम्बन्धमे समान रूप सँ राखल गेल व्यक्ति भेनाई जेना की निर्धारित व्यक्तिके सम्बन्धमे राखल गेल व्यक्ति छै u/s 40A( 2)(ख), मुदा ऐहन ग्राहक या ऐहन ग्राहकके सहयोगीके छोड़ि कोनो व्यक्ति सं खरीदल गेल सामग्रीके उपयोग करैत कोनो ग्राहकक आवश्यकता अथवा विनिर्देशके अनुसार कोनो उत्पादके निर्माण अथवा आपूर्ति शामिल नहि छै.
  • Where any sum is paid or credited for carrying out any work mentioned in (e), tax shall be deducted at source:
  • (i) on the invoice value excluding the value of material, if such value is mentioned separately in the invoice; or
  • (ii) on the whole of the invoice value, if the value of material is not mentioned separately in the invoice.

धारा 194C मे टीडीएस काटयके की दर छै?

  1. जँ इंडिविजुअल अथवा हिन्दू संयुक्त परिवार (HUF) के भुगतान अथवा जमा करैत छी तँ टीडीएस काटयके दर 1% छै (14.05.2020 सँ 31.03.2021 तक covid के कारण दर 0.75 कयल गेल छल)
  2. इंडिविजुअल अथवा हिन्दू संयुक्त परिवार (HUF) के छोड़ि आन सभ लेल भुगतान अथवा जमा करैत छी तँ टीडीएस काटयके दर 2% छै (14.05.2020 सँ 31.03.2021 तक covid के कारण दर 1.50% कयल गेल छल)
  3. धारा 206AA के प्रावधानक अनुसार बिना PAN वलाके कर कटौती दर 20% अछि।

टिप्पणी

Name

ESCI & EPF,2,GST,6,INCOME TAX,3,INCOME TAX SLAB,1,TDS,7,TDS RATE CHART,1,TDS Section,4,
ltr
item
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली): Section 194C TDS on Payment to Contractor
Section 194C TDS on Payment to Contractor
आबू मैथिलीमे TDS के 194c सेक्शन बुझैत छी, जेना के टीडीएस काटि सकैत अछि की लिमिट छै कतेक दर छै आदि
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEj3yHQNFhDvl1rAQ4tenmsTWfhHqyWp5dVe9vA2TJ6nBb-0Yo8-UTJpbSnheU2jx2cE0R9N5InB4W7sz976LLp7Qv453dvqrL0tlo9nwxpi1hXHfEwJ5Lvgza2cVFveZGDq6r2eJR_kPlTkszypcyNlA6WWjRXr1vNM9PTGoPsTHtqu-xaYpc3gZ1lCVg/s320/TDS-ON-CONTRACT.png
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEj3yHQNFhDvl1rAQ4tenmsTWfhHqyWp5dVe9vA2TJ6nBb-0Yo8-UTJpbSnheU2jx2cE0R9N5InB4W7sz976LLp7Qv453dvqrL0tlo9nwxpi1hXHfEwJ5Lvgza2cVFveZGDq6r2eJR_kPlTkszypcyNlA6WWjRXr1vNM9PTGoPsTHtqu-xaYpc3gZ1lCVg/s72-c/TDS-ON-CONTRACT.png
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली)
https://tax.maithili.org.in/2022/06/section-194c-tds-on-payment-to.html
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/2022/06/section-194c-tds-on-payment-to.html
true
2483513382241456218
UTF-8
सभ पोस्ट लोड भ' गेल कोनो पोस्ट नहि भेटल सभटा देखू पढ़ू जवाब दिय जवाब हटाउ मेटाउ लिखने छथि पहिल पृष्ठ पेज सभ पोस्ट सभ सभटा देखू अपनेक लेल अनुशंसित अछि लेबल संग्रह ताकू सभटा पोस्ट अहाँक आग्रहक संग कोनो पोस्ट मेल नहि खाइत अछि पाछू पहिल पृष्ठ पर जाउ रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर एखनहि 1 मिनट पहिने $$1$$ मिनट पहिले 1 घंटा पहिले $$1$$ घंटा पहिले काल्हि $$1$$ दिन पहिले $$1$$ सप्ताह पहिले 5 सप्ताह सँ बेसी पहिले अनुयायी अनुसरण करू ई प्रीमियम सामग्री लॉक अछि STEP 1: कोनो सोशल नेटवर्क पर शेयर करू STEP 2: अपन सोशल नेटवर्क पर देल गेल लिंक पर क्लिक करू सभ कोड कॉपी करू सभ कोड चुनू सभ कोड अहाँक क्लिपबोर्ड पर कॉपी भ' गेल छल कोड / पाठ कॉपी नहि क सकैत अछि, कृपया कॉपी करबाक लेल [CTRL]+[C] (अथवा मैक क संग CMD+C) दबाउ सामग्री सारणी