आबू बुझैत छी EPF के UAN कोना सक्रीय कयल जायत छै तथा अहिके की लाभ छै?
जखनि अहाँक एम्प्लॉयर EPF वेबसाइट पर अहाँके रजिस्टर्ड करैत अछि तँ अहाँके एकटा UAN भेटैत अछि।
अहि UAN के सक्रीय करय पड़ैत अछि जाहि सँ अहाँके EPF वेबसाइट पर लॉगइन करय लेल पासवर्ड भेटैत अछि। जतय सँ अहाँ पासबुक देखि सकैत छी, KYC अपडेट कय सकैत छी, अपन EPF खाता सँ राशि निकालि सकैत छी। Nominee जोड़ि सकैत छी, संग आओर बहुत किछ कय सकैत छी।
आबू बुझैत छी जे कोना UAN सक्रीय कयल जा सकैछ
UAN सक्रीय करबाक लेल एतय क्लिक करू
एतय इम्पोर्टेन्ट लिंकमे Activate UAN लिंकके विकल्प देल अछि ओही पर क्लिक करू
एतय क्लिक कयलाक बाद यहन फॉर्म खुजत।
ओतय इ फॉर्म भरलाक बाद मोबाइलमे OTP भेटत, OTP सँ सत्यापन कयलाक बाद अहाँके मोबाइल पर मैसेजके माध्यम सँ पासवर्ड भेटि जायत। अहि सँ अहाँके UAN सक्रीय भ' जायत। अहिके बाद अहाँ EPF वेबसाइट पर सभ सुविधा लय सकैत छी।
टिप्पणी