$type=ticker$count=12$cols=4$cate=0

ई- इन्वॉइसिंग की अछि? ई- इन्वॉइसिंग कहिया सँ लागू भेल ? ई- इन्वॉइसिंग किनका लेल अनिवार्य अछि? एतय मैथिलीमे बुझु ।

 ई-इन्वॉइसिंग - आब 20 करोड़के सप्पलाई पर 1 अप्रैल 2022 सँ लागू कयल गेल अछि, तखनि मानि लिअ जे आब ई-इन्वॉइसिंग सेवा तथा व्यवसायके बहुत पैघ हिस...


 ई-इन्वॉइसिंग - आब 20 करोड़के सप्पलाई पर 1 अप्रैल 2022 सँ लागू कयल गेल अछि, तखनि मानि लिअ जे आब ई-इन्वॉइसिंग सेवा तथा व्यवसायके बहुत पैघ हिस्साके कवर करय वाला अछि तथा लागैत अछि एकर बाद एकर सीमा कम कयल जा सकैत छै। ताहि लेल इ जरूरी भ' गेल अछि जे अहिके विस्तार सँ बुझी किएक त इ प्रावधान जे शुरू मे 500 करोड़ टकाके टर्नओवर पर लागू भेल छल से 100 करोड़ टका भेल फेर  50 करोड़ टका भ' गेल आ आब 20 करोड़ तक पहुंच गेल अछि, तँ भ' सकैत अछि जे आबय वाला समयमे एहि सीमाके आओर कम कएल जा सकैत अछि!

1. ई- इन्वॉइसिंग की छै?

ई- इन्वॉइसिंग जनिका लेल एप्लीकेबल छै ओ जखनि इनवॉइस बनओता तखनि ओहि इनवॉइसके सभटा डिटेल्स ई- इन्वॉइसिंगके पोर्टल पर अपलोड करय पड़तएन। ओतय सँ IRN, क्यूआर आदि प्राप्त होयत जकरा इनवॉइस पर प्रिन्ट करय पड़त। 

2. ई- इन्वॉइसिंग पोर्टल की छै?

ई- इन्वॉइसिंग पोर्टल https://einvoice1.gst.gov.in/ अछि एतय सँ ई-इनवॉइस बनायल जायत छै। एतय अपन इनवॉइस विवरण भरयके रहैत छै, आओर एतय सँ IRN आओर QR कोड आदि प्राप्त कयल जायत छै।

3. ई- इन्वॉइसिंग ककरा लेल अनिवार्य छै?

एखनि ई-इनवॉइस हुनका सभलेल अनिवार्य छन्हि जनिकर वित्तीय वर्ष 2017-18 सँ लय कय पछिला वित्तीय वर्षमे एग्रीगेट टर्नओवर 20 लाख टका अथवा ओहि सँ बेसी छै।

4. एग्रीगेट टर्नओवरमे कोन तरहक बिक्रीके गिनती कयल जायत छै?

एग्रीगेट टर्नओवरमे सभ तरहक बिक्री सम्मिलित रहैत छै चाहे ओ टैक्सेबल हुए अथवा नॉन टैक्सेबल हुए अथवा एडजेम्टेड बिक्री हुए सभकेँ जोड़ि कय एग्रीगेट टर्नओवर निकालल जायत छै।

5. की नॉन टैक्सेबल आओर एडजेम्टेड वस्तु लेल सेहो ई-इनवॉइस निकालय पड़तय?

ना, नहि निकालय पड़तय।

6. की सभटा इनवॉइस ई-इनवॉइस निकालय पड़तय?

नहि सभटा इनवॉइसके ई-इनवॉइसमे नहि निकालय पड़त। मात्र B2B (समान खरीदय वलाके सेहो GST संख्या होइ) हुनके लेल ई-इनवॉइस करय पड़त।

7. ई-इनवॉइस बनलाके बाद कैंसिल कयल जा सकैछ?

ई-इनवॉइस बनलाके बाद 24 घंटामे रद्द कयल जा सकैछ, 24 घंटाके बाद ई-इनवॉइस रद्द नहि कयल जा सकैछ।


टिप्पणी

Name

ESCI & EPF,2,GST,6,INCOME TAX,3,INCOME TAX SLAB,1,TDS,7,TDS RATE CHART,1,TDS Section,4,
ltr
item
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली): ई- इन्वॉइसिंग की अछि? ई- इन्वॉइसिंग कहिया सँ लागू भेल ? ई- इन्वॉइसिंग किनका लेल अनिवार्य अछि? एतय मैथिलीमे बुझु ।
ई- इन्वॉइसिंग की अछि? ई- इन्वॉइसिंग कहिया सँ लागू भेल ? ई- इन्वॉइसिंग किनका लेल अनिवार्य अछि? एतय मैथिलीमे बुझु ।
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhp4lxpY2z3V1vHCxJK-ipiAFJeK0Nc1L14sDYVFIS6lHS1SykFunn5gWOKBpOD1n1X1wyrH5uwZO4Owi0rconWrLf1-V7IOminOyk9wQjoJl6Ns29suCMAC3ffev2klrZnMSWLmlS7sOcwpGn6vAXmHN85pTqJQafEenmvO3fYmTYuqUIr4jurJwP2jA/w433-h217/e-invoicing.jpg
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhp4lxpY2z3V1vHCxJK-ipiAFJeK0Nc1L14sDYVFIS6lHS1SykFunn5gWOKBpOD1n1X1wyrH5uwZO4Owi0rconWrLf1-V7IOminOyk9wQjoJl6Ns29suCMAC3ffev2klrZnMSWLmlS7sOcwpGn6vAXmHN85pTqJQafEenmvO3fYmTYuqUIr4jurJwP2jA/s72-w433-c-h217/e-invoicing.jpg
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली)
https://tax.maithili.org.in/2022/06/e-invoicing-applicable-important.html
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/2022/06/e-invoicing-applicable-important.html
true
2483513382241456218
UTF-8
सभ पोस्ट लोड भ' गेल कोनो पोस्ट नहि भेटल सभटा देखू पढ़ू जवाब दिय जवाब हटाउ मेटाउ लिखने छथि पहिल पृष्ठ पेज सभ पोस्ट सभ सभटा देखू अपनेक लेल अनुशंसित अछि लेबल संग्रह ताकू सभटा पोस्ट अहाँक आग्रहक संग कोनो पोस्ट मेल नहि खाइत अछि पाछू पहिल पृष्ठ पर जाउ रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर एखनहि 1 मिनट पहिने $$1$$ मिनट पहिले 1 घंटा पहिले $$1$$ घंटा पहिले काल्हि $$1$$ दिन पहिले $$1$$ सप्ताह पहिले 5 सप्ताह सँ बेसी पहिले अनुयायी अनुसरण करू ई प्रीमियम सामग्री लॉक अछि STEP 1: कोनो सोशल नेटवर्क पर शेयर करू STEP 2: अपन सोशल नेटवर्क पर देल गेल लिंक पर क्लिक करू सभ कोड कॉपी करू सभ कोड चुनू सभ कोड अहाँक क्लिपबोर्ड पर कॉपी भ' गेल छल कोड / पाठ कॉपी नहि क सकैत अछि, कृपया कॉपी करबाक लेल [CTRL]+[C] (अथवा मैक क संग CMD+C) दबाउ सामग्री सारणी