$type=ticker$count=12$cols=4$cate=0

टीडीएस (TDS) की होइत छै? टीडीएस सँ की बुझैत छी?

टीडीएस (TDS) की होइत छै?  टीडीएस सँ की बुझैत छी? पहिले TDS के अवधारणा बुझैत छी आय केरऽ बहुत स्रोत सँ कर असूलीके उद्देश्य सँ टीडीएस केरऽ अवध...


टीडीएस (TDS) की होइत छै? टीडीएस सँ की बुझैत छी?
पहिले TDS के अवधारणा बुझैत छी आय केरऽ बहुत स्रोत सँ कर असूलीके उद्देश्य सँ टीडीएस केरऽ अवधारणा शुरू कयल गेल छल। अइ अवधारणाके अनुसार कोनो व्यक्ति (कटौतीकर्ता) जे कोनो अन्य व्यक्ति (कटौती करय वाला) के निर्दिष्ट प्रकृति के भुगतान करय लेल उत्तरदायी छै, ओ स्रोत पर कर कटौती करतय आ ओकरा केंद्र सरकारक खातामे जमा कराओत. जे कटौतीकर्ता सँ स्रोत पर आयकर कटौती कयल गेल छै, ओकरा कटौतीकर्ता द्वारा जारी फॉर्म 26एएस अथवा टीडीएस प्रमाणपत्रके आधार पर अइ प्रकार कटौती कयल गेल राशिके क्रेडिट लेवाक हकदार होयत अछि।

TDS मे तीन टा अंग्रेजीक शब्द छै T, D तथा S, अंग्रेजीमे पुरा नाम Tax Deducted at Source कहल जायत छै जाहिके मैथिलीमे "स्रोत पर कर कटौती" कहि सकैत छी। नामे सँ काटयके छै।

टीडीएस कोना काटल जेतय ओकर की नियम छै ताहि सँ पहिले दू टा आओर शब्द बुझैत छी Deductor अथवा Deductee के अर्थ अछि टीडीएस काटय वला कटौतीकर्ता कहि सकैत छी, यैह टीडीएस रिटर्न सेहो फाइल करैत छथि। दोसर शब्द अछि Payer अर्थात जनिकर टीडीएस काटल जायत छै। 

सामन्यतः व्यपारी लोकिनके टीडीएस काटय पड़ैत छै, जखनि किओ व्यापारीके बिल दैत छै अथवा व्यापारी किनको advance अर्थात अग्रिम भुगतान करैत छै तखनि टीडीएसके नियमके मोताबिक टीडीएस काटय पड़ैत छै।
[post_ads]

टीडीएस रेट चार्ट देखय लेल निचा बटन देल गेल अछि ताहि पर क्लिक करू

टीडीएस काटि लेलाक बाद व्यपारी लोकिनके ओ टीडीएसके रकम सरकार घरमे जमा कराबय पड़ैत छै।

जाहि महीनामे टीडीएस काटल जायत छै ओहिके दोसर महीनाके 7 तारीख तक टीडीएसके रुपया जमा करय पड़ैत छै अन्यथा प्रत्येक महीना 1.5% सुदि लागैत छै। मात्र मार्च महीना अपवाद अछि मार्चमे काटल गेल टीडीएसके रकम अगिला महीना अर्थात अप्रैलके 30 तारीख तक जमा कयल जा सकैछ।

टीडीएस ऑनलाइन NSDL के वेबसाइट पर जमा कराओल जायत छै। 

एतय टीडीएस जमा करय लेल चालान संख्या 281 भरल जायत छै।

[post_ads_2]

TDS दु तरीका सँ जमा कयल जा सकैछ।

1. ऑनलाइन अर्थात इलेट्रॉनिक मोडमे इ अनिवार्य अछि

A. सभ कॉरपोरेट एससेसीज लेल आओर 

B. जाहि पर आयकर अधिनयम 1961 के धारा 44AB लागैत अछि।

2. बाद बाकी, डिडक्टर बैंकमे जा कय चालान 281 भरि कय जमा कय सकैत छथि।

[चालान 281 डाउनलोड करू ##download##] 



टिप्पणी

Name

ESCI & EPF,2,GST,6,INCOME TAX,3,INCOME TAX SLAB,1,TDS,7,TDS RATE CHART,1,TDS Section,4,
ltr
item
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली): टीडीएस (TDS) की होइत छै? टीडीएस सँ की बुझैत छी?
टीडीएस (TDS) की होइत छै? टीडीएस सँ की बुझैत छी?
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhY423ECfExGw05ofPk0r1jM8G9O6DTR-h3Tlr74fnwPkn3QCX8tIzidAvM_Jo-EYB8i5Goh8QyN4OcgRSfnDB_tEY7pWNp6EfcknfiWITaDsgKPig3R-8CsKWHz5U2nfHUPa3Twfkh2TDE1m4zjLTy7KeJHBaiSHzLshucUkcgeah-HGJtIL3cvNPtjA/s320/TDS.png
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhY423ECfExGw05ofPk0r1jM8G9O6DTR-h3Tlr74fnwPkn3QCX8tIzidAvM_Jo-EYB8i5Goh8QyN4OcgRSfnDB_tEY7pWNp6EfcknfiWITaDsgKPig3R-8CsKWHz5U2nfHUPa3Twfkh2TDE1m4zjLTy7KeJHBaiSHzLshucUkcgeah-HGJtIL3cvNPtjA/s72-c/TDS.png
Indian Tax System (Maithili) भारतक कर व्यवस्था (मैथिली)
https://tax.maithili.org.in/2022/06/what-is-tds-in-maithili.html
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/
https://tax.maithili.org.in/2022/06/what-is-tds-in-maithili.html
true
2483513382241456218
UTF-8
सभ पोस्ट लोड भ' गेल कोनो पोस्ट नहि भेटल सभटा देखू पढ़ू जवाब दिय जवाब हटाउ मेटाउ लिखने छथि पहिल पृष्ठ पेज सभ पोस्ट सभ सभटा देखू अपनेक लेल अनुशंसित अछि लेबल संग्रह ताकू सभटा पोस्ट अहाँक आग्रहक संग कोनो पोस्ट मेल नहि खाइत अछि पाछू पहिल पृष्ठ पर जाउ रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन रविदिन सोमदिन मंगलदिन बुधदिन वृहस्पतिदिन शुक्रदिन शनिदिन जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवम्बर दिसम्बर एखनहि 1 मिनट पहिने $$1$$ मिनट पहिले 1 घंटा पहिले $$1$$ घंटा पहिले काल्हि $$1$$ दिन पहिले $$1$$ सप्ताह पहिले 5 सप्ताह सँ बेसी पहिले अनुयायी अनुसरण करू ई प्रीमियम सामग्री लॉक अछि STEP 1: कोनो सोशल नेटवर्क पर शेयर करू STEP 2: अपन सोशल नेटवर्क पर देल गेल लिंक पर क्लिक करू सभ कोड कॉपी करू सभ कोड चुनू सभ कोड अहाँक क्लिपबोर्ड पर कॉपी भ' गेल छल कोड / पाठ कॉपी नहि क सकैत अछि, कृपया कॉपी करबाक लेल [CTRL]+[C] (अथवा मैक क संग CMD+C) दबाउ सामग्री सारणी